|| जाएब बाबा धाम ||

                    __✍ सरोज मण्डल
साउन माहिना आएल पियाजी,
आबु नऽ जल्दी गाम !
यौ पिया संगे - संगे मिलके, 
जाएब बाबा धाम !!

पियर सारी, पियर ब्लाउज़, 
पियर किन्लो कुर्ता !
पोड़ साल सँ लागल छलै,
बाबा पर सुर्ता !!

खेतोमें रोपल रापल भऽ गेल धान,
यो पिया जल्दी गाम !
मनमें सोचलौं एमकी बेर 
जाएब साउन महिना
छोड़ि दियौ आब लाचारी, 
छोड़ि दियो बहाना !!

नई जब आएब एह्बेर तऽ,
पिया छोड देब सब काम !
यौ पिया संगे - संगे मिलके, 
जाएब बाबा धाम !!

साउन माहिना आएल पियाजी,
आबु नऽ जल्दी गाम !
यौ पिया संगे - संगे मिलके, 
जाएब बाबा धाम !!