|| बोल बम मेला ||

चलि' आउ बोल बम में गाम यौ सजना ! अहाँ संगे जल चढैबै यौ सजना !! कतेक मान मङने छि अहाँक लेल यौ सजना ! सब माङ पूरा करतै भोला बाबा यौ सजना !! अहाँ बिनु कोना बोल बम जेबै यौ सजना ! कोना कऽ हम जल चढैबै यौ सजना !! एतेक दिन बितैलौ परदेशमें यौ सजना ! एह सिजन में चलि' आउ अपन गाम यौ सजना !! सब काम छोडि' चलि' आउ यौ सजना ! एह साल साथमें मेला घुमब यौ सजना !!