गज़ल ~ पूरा कदे हमर ईक्षा गै जूली

छवि : मैथिली फ़िल्म एक्ट्रेस - डोली सरकार 
 बस पूरा कदे हमर एकटा ईक्षा गै जूली !
हमरा सँ लले प्रेम बला शिक्षा गै जूली !!

दीवाना छी तोहर चाहे खूआले कोनो किरिया !
बात मान आब नञि' कराबै तू प्रतिक्षा गै जूली !!

तोरा बिन हमर जीनगीक' कोनो मोल नञि' !
जिनगीक' संगी बनि' दे प्रेमक' सदीक्षा गै जुली !!

बानहि' दे तू प्रितक' डोर सँ सदित बनहायल रहब !
आब हमारा सँ नञि' लए तू परीक्षा गै जूली !!

बस एक बेर नयन सँ नयन मिलाक' देख बताहि' !
बतहा "राज" मगैत छौ प्रेमक' भिक्षा गै जूली !!
_____________________________________


__✍ राजदेब राज 
चौहर्वा, सिरहा (नेपाल) 
हाल : मलेसिया