Maithili Chutkula ~ अहाँक कनियाँ के की सब बनाब अबैय ....

छवि : मैथिली एक्ट्रेस - सरिता साह 
ढोंरबा : कि... दोस, केना अछि.... जहिया सँ विवाह कैलौँ अपने,
            हमरा तऽ भूलि' जेना गेल छी।

सुरतिया : कि... कहु दोस कनियाँ के हाथ सँ नव-नव पकवान दिन राति' खाइत छी।
                जे कहैत छियै से सब बनाबि' दैत अछि।

ढोंरबा : एह ! खाऊ-खाऊ अपनेही के समय आएल अछि।
           ( हमर तऽ कपारे फुटल अछि' )

सुरतिया : हरेक पकवान बनाबि' लैत छैक उ, मुदा
               दोस अहाँक कनियाँ के की सब बनाब अबैय ....

ढोंरबा : हमर कनियाँ के ?
            हमर कनियाँ के खाली मुँह बनाबए अबैत छैक !
___________________________________________


__✍ एस के मैथिल
जनकपुरधाम, धनुषा (नेपाल)