|| वादा ||

छवि : मैथिली फ़िल्म एक्ट्रेस - डोली सरकार 
उ वादा,
कसम, किरिया
सब छल
अहाँक झूठा,
पल भरमें
आन कएलौं
अहाँ !
दश लोगमें
गुनेहगार
ठहरेलों अहाँ,
बात त
करैय छलौं अहाँ
बड़का-बड़का
अहाँक बात पर
छल विश्वाश हमरा
मुदा उ वादा,
कसम, किरिया भूलि
दश लोगमें
अविश्वाशी बनेलौं अहाँ !!
_______________________________________


__✍ एस के मैथिल 
जनकपुरधाम, धनुषा (नेपाल)