गज़ल ~ मोन हमर मोहि लिय

छवि : मैथिली एक्ट्रेस - मोनिका दहाल 
जे कहबाक अछि फोने मे कहि लिय प्रिय ।
फोटो देखिएक' अहाँ हमर रहि लिय प्रिय ॥

बहुते केलौ प्रतीक्षा किछु दिन अाअोर सहि ।
बस कहुना क' सुख-दुःख सहि लिय प्रिय ॥

लिखल अछि कपार मे तहन हमर कि दोख ।
दू चारि मास अाअोर बाट जोहि लिय प्रिय ॥

हमरे नाम के मेहदी सजत' अहाँक हाथ मे ।
प्रेम मे दिन तिल, चाउर बहि लिय प्रिय ॥

दिनो दिन कसगर होयत जेतै प्रितक डोर ।
अनेरे बमछैत छै मोन हमर मोहि लिय प्रिय ॥
_____________________________________


__✍ राजदेब राज