|| कारी धुधुर ||

कलाकार : कृष्णा कुमार महतो आ रामा 
हमरो मन करैय कि
हमहु किनको सँ प्रेम करितौं !!
नयन सँ नयन मिला कऽ
नैना चारि करितौं, मुदा
ई हमर भाग्य में कहाँ !
ई तऽ सब नसिब के खेल अछि।

सब के भाग्य में छैक कहाँ ई
प्रेम तऽ दू आत्मा केर मिलन अछि
जे जुड़ल छैक पुनर जन्मसे
हम अभागल प्रेमी के
ओहन हाथक लकीर कहाँ
जे करि सकै प्रेम सागरक गहराई जका !!

दुसराक प्रेम करैत देख
ई मोन हमर बड़ तड़पैय
नै जानि विधाता कोना गढ़लकै हमरा
कारी धुधुर, कारी धुधुर
देख ई चेहरा हमर, सब दूर भेल
______________________________________

Post a Comment

0 Comments