|| ऐहो एकटा जवाना छै ||

बिजुली चमकैत काल
ठन्काक डरसँ
हमरा माथ पऽ
अपन हाथ ध'क
हमर डारायल मनमे
हिमत भैर देने छलीयै अहाँ
से एकटा जवाना छल ।

अहाँक
हमरा पऽ छल भरोसा

हमरा अहाँसँ अतेक उमिद छल
जे,अहाँ हमरा लेल चिरैताक पातमे
मिठास भैर सकैत छी
हम मन धनमे छोट आ अजाति होइतो
अहाँ हमरा हृदयमे बास क'
जिनगी गुजारि सकैत छी
सेहो एकटा जवाना छल ।

आई खाल्हि प्रेमक बारी आ खेतमे
लगैय रौदी पडिगेल छै
प्रेमक नाम पऽ
प्रेमक बारी आ खेत
सभके सभ मिलक तैइम रहल छै
इर्षा क बिज रोपबाक लेल
एकर प्रत्यक्ष उदाहरण थिक
विश्वयुद्ध लेल तैनात भेल विश्व

ऐहन घडीमे अतीत याद केनाइ
हमरा अहाँके
प्रेमक जे विश्वास बनल अछि
हमरा अहाँ बिच
ताहिमे खोटक टुँसा निकैल सकैय
तैं आखिँ बन्नक मात्र सुनु
ऐहो एकटा जवाना छै ।
______________________________________________

Post a Comment

0 Comments