|| छठी मईयाक' महिमा ||

छठी मईया अहाँक महिमा छथि अपरमपार,
करैत छि अहाँ सभक दुःख के बेड़ापार !
जे करैत छथि छठी पाबैनक त्योहार ,
सदा रहैत अछि हुनका प कृपाक अपार !!

छठी मईया करैत छि अहाँ दुखियाक दुःख दूर ,
 जुनि भर पाबे ऊ सूखे - सुख !
एक नज़र मईया हम दुखिया प धरु ,
हमरो प मईया अप्पन कृपाक बौछार करू !!

बझिनक पुत्र देलौं कोढ़ियन के काया ,
हमरो प दिय मईया कनिको माया !
निर्धन के धन देलौं भडकल के शाया ,
हमेशा केने रहू मईया हमरो प दाया !!

अई साल हमहू करब पाबैन छठी मईया के ,
जनकपुरक गंगा सागर घाट प !
मनक सब आश करति मईया हमर पुरा ,
 जायत सब मनोकामना हमर पुरा !!

दउरा लेने जायब हम छठी घाटे ,
छठी मईया होइथिन खुश ज़रूर !
चढ़ाईब मईया के नरिवल और केराक घेउर ,
हमरो प करति मईया कृपा ज़रूर !!

जे छठी मईयाक पाबैन त्यौहार करैत छथि ,
छठी मईया हुनकर मनोकामना पूर्ण करैत छथि !
हुनका प रहैत अछि हमेशा मईयाक आशिर्वाद ,
मईयाक आशिर्वाद सँ बनल हुनकर जिनगी आवाद !!