|| अहाँक चेहरा ||

बहुत प्रेम करैत छी अहाँके !
अहाँके आगु भुलादेव 
सारा जहाँ के !!

अहाँ बांधलौं हमरा 
प्रेमकऽ बन्धन में !
साँस बैन धड़कैत छी 
हमर धड़कन में !!

अहाँक चेहरा 
नयन सँ नै जाइय !
सच कहैत छी अहाँकऽ 
याद बहुत अबैय !!

हम हनुमान तऽ नई छी 
जँ हिया चिर कऽ देखादु !
हम कसाई तऽ नई छी 
जँ अहाँकऽ याद भुलादु !!

किया नै मानैत छी 
अहाँ हमर गप !
अहाँकऽ पाबके लेल 
करब हम सातो जनम तप !!
____________________________________