|| अहाँ बिनाक' जिनगी - २ ||

किया हमरा अहाँ एतेक तड़पबैत छी ,
ई तड़प आब हमरा सहल नई जाइय !
अहाँ बिनाक ई जिनगी जियल नई जाइय ,
बस, अहाँ बिन रहल नई जाइय !!     

हमर जिनगीक रोशनी भेल पुरा अन्हार यौ ,
कियाक त अहाँ बिन हमर जिनगी अधूरा यौ !
अहि सँ जुडल अछि हमर जनगीक तार यौ ,
बस, अहाँ बिन जियल बेकार यौ !!

हमर दिलक आवाज़ सुनैवला कोई नई छथि ,
प्रेमक ई छण बितवेवला कोई नई छथि !
जुदाईक नोर पियवला कोई नई छथि ,
ई धड़कनके एहसाश बुझैवला कोई नई छथि !!

किया हमरा सँ अहाँ मुह मोइड रहल छी ,
प्रेमक रिश्ता अहाँ हमरा सँ तोइड रहल छी !
हमरे नाम सँ जुड़ल अछि अहुँक नाम ,
हमर नाम सँ अहाँ अप्पन नाम किया हटा रहल छी !!

किया हमरा अहाँ एतेक तड़पबैत छी ,
ई तड़प आब हमरा सहल नई जाइय !
ई जुदाईक नोर पियल नई जाइय ,
बस, अहाँ बिन रहल नई जाइय !!
___________________________________________


__.✍ एस के मैथिल 
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,