जीयब यहाँ मरब यहाँ ,
जबतक जान अछि लड़ब यहाँ !
चैल रहल अछि बिना हर के पगहा ,
अप्पन देशकऽ संविधान छई कहाँ !!
दिन बदैल गेल साल बदैल गेल ,
सुरुज के हर किरण बदैल गेल !
अंधेरा छायल अछि अखन धरि देशमें ,
सभकऽ ज़ज्बात सँ खेलैत ऊ संविधान छई कहाँ !!
शान्तिकऽ सब गुणगान गबैत अछि ,
देशमें अखन ऊ शान्ति छई कहाँ !
हरायल जाएत अछि देशकऽ स्वाभिमान ,
नेपाली जनताकऽ ऊ संविधान छई कहाँ !!
सब अप्पन - अप्पन झोली भैर रहल अछि ,
देश के लेल किछ कैर नई रहल अछि !
देशमें लागि गेल अछि काला निशान ,
ई संकट रोकेबाकऽ लेल ऊ संविधान छई कहाँ !!
दिल टुईट गेल नेपाल माई के ,
ई रावण सभकऽ कर्तुत देखिकऽ !
गुंडा आवारा सब बनल नेता यहाँ ,
अप्पन देशकऽ ऊ संविधान छई कहाँ !!
___________________________________________

__.✍ एस के मैथिल
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,
जबतक जान अछि लड़ब यहाँ !
चैल रहल अछि बिना हर के पगहा ,
अप्पन देशकऽ संविधान छई कहाँ !!
दिन बदैल गेल साल बदैल गेल ,
सुरुज के हर किरण बदैल गेल !
अंधेरा छायल अछि अखन धरि देशमें ,
सभकऽ ज़ज्बात सँ खेलैत ऊ संविधान छई कहाँ !!
शान्तिकऽ सब गुणगान गबैत अछि ,
देशमें अखन ऊ शान्ति छई कहाँ !
हरायल जाएत अछि देशकऽ स्वाभिमान ,
नेपाली जनताकऽ ऊ संविधान छई कहाँ !!
सब अप्पन - अप्पन झोली भैर रहल अछि ,
देश के लेल किछ कैर नई रहल अछि !
देशमें लागि गेल अछि काला निशान ,
ई संकट रोकेबाकऽ लेल ऊ संविधान छई कहाँ !!
दिल टुईट गेल नेपाल माई के ,
ई रावण सभकऽ कर्तुत देखिकऽ !
गुंडा आवारा सब बनल नेता यहाँ ,
अप्पन देशकऽ ऊ संविधान छई कहाँ !!
___________________________________________

__.✍ एस के मैथिल
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,