|| सपनाक' परी ||

अहाँके देखलौं त बाजु मन लागल !
मन में भीतरे भीतर प्रेम जागल !!

चेहरा देखली त लागल परी ,
ठोरक मुस्कान देख झरल फूलझरी !
व्यवहार देखली त लागल आर्दश नारी ,
नाम पुछलौं त कहलक सॉरी !!

समय बीतल फिर भेटल ,
पुछलौं नाम कहलक शीतल !
भेलौं हम पहिल बेर दीवाना ,
गेलौं हम खूब प्रेमक गाना !!

लिखलौं हम खूब गीत, गज़ल !
देखलौं त छल सपना सजल !! 
____________________________________