|| इ केहन जमाना आबि गेल ||


सीताके इ पवित्र भूमि,
बुद्धकऽ कहाबे पावन धाम !
घर - घर जत तिलकोर तरैये ,
गाछमे लटकल मिठगर आम !!

सुरबीर जै धरतीके बेटा ,
बुघिमानीके बढका बगान !
लोरिकऽ, दिनाभद्री, सलहेश सन
राजाके जत नित होइय गुनगान !!

मुदा लगैये सब किछ हेरागेल ,
धरम हराके दुर भागि गेल !
मन नै लगैये एत मिता ,
देखु केहन जमाना आबि गेल !!

अपन शृघारऽ नै किछ पुछारी ,
दोसरके फैसन अछि बड़ भारी !
अपन भाषा बनल लाचारी ,
दोसरके भाषामे बुझे अपन बुद्धयारी !!

पढल लिखल हमर बौवा ,
लगैये हमरा कक्हरबा फेल !
मन नै लगैये एत मिता ,
देखु केहन जमाना आबि गेल

नमस्कारपाती ओर गोरलग्गी ,
बनल यऽ एत कबारी दोकान !
गुड मोर्निंग आ सरी मिस्टर ,
कहैमे सम्झे अपन अभिमान !!

गोदना, कजरी ओलकऽ तरकारी ,
जानि नै इ कतऽ हेरा गेल !
ट्याटु, हिपहप, पिज़्ज़ा बरगर के ,
देखु सगरो बहना धऽ लेल !!

मैथिली बजनाइ दुर दुहाइ ,
इंग्लिश कोरियनके अछि खुब मेल !
मन नै लगैये एत मिता ,
देखु केहन जमाना आबि गेल !!

धोती कुर्ता कतऽ तक अछि ,
विवाह, मुण्डन और उपनैन !
गाम अपन छोरिकऽ घरकऽ ,
जमान सब ढौवालेल भेल पलाइन !!

धरम करमके बात हेरा गेल ,
घर - घर पसरल दहेजकऽ डाइन !
कोशी, कमला, बलान हेरा गेल ,
कण्ठमे उतरल बोतलकऽ ह्वाइन !!

कोना कहु इ कोना कोना कऽ ,
बृद्धाआश्रम मधेश बनि गेल !
मन नै लगैये एत मिता ,
देखु केहन जमाना आबि गेल !!
______________________________________