|| हमर दिल के बात ये ||

हमरा सँ ऐना किए भेलौं नराज ये,
अाब नै सहतै हमर दिल अहाँ सँ दुरी ये !
ई जिनगी लगैय अहाँ बिन उदास ये,
किए नै बुझैत छी हमर दिल के बात ये !

कोइली जेहन मिठगर अवाज अहाँ के ये,
अहिं हमर दिलके छी रानी ये !!
राति दिन सपना मे अहिं अबैत छी ये,
किए नै बुझैत छी हमर दिल के बात ये !

कि कहु जखन अहाँ नै रहैत छि संग ये,
अहिंक याद में पल-पल जिबैत अछि प्रमोद ये !
ई जिनगी लगैय अहाँ बिन उदास ये,
किए नै बुझैत छी हमर दिल के बात ये !!

प्रिय अहाँ हमरा सँ बहुत दुर चलि गेलौं, मुदा
अहाँ किए अप्पन याद हमरा पास छोडि गेलौं !
अहाँ के बिन लगै जेना ई दुनिया सुनसान ये,
किए नै बुझैत छी हमर दिल के बात ये !
____________________________________________

__.✍ प्रमोद कुमार यादव 
नरहिया, धनुषा (नेपाल)
हाल : दोहा, क़तर 

Post a Comment

0 Comments