Lyrics_ओठलाली से रोटी बोरि के

फागुनमे सईयाँ कएलौं वादा
गेलौं अहाँ छोडि के
संगे रहितौं तऽ बियर पियैबती
ओठलाली से गिलास भरि के

उराबै छलै रंग संगे सखिहो सहेली
हम छलौं घरमे बैठल एकेले
मिथिलामे रंग बरसै छल
देखी-देखी कऽ मोन तरसै छल
अंग-अंग रंग लगेबतौं  पिया
प्रेम रंगमे घोरि के
घरे रहितै तऽ होली मनैबतैं
ओठलाली से गिलास भरि के

कहियासँ हमरा लागल छलै अशा
नितदिन मोनमे फुटैत छल बतासा
घरे अबियौ हमर राजा यौ
फगुवामे ललि माजा यौ
टुटल हमर मोन जोडि' दिय अहाँ फेर सँ
घरे रहितै तऽ बियर पियैबती
ओठलाली से गिलास भरि के

उदगारसे कही हम मोनक बात
रमेश अंईठैत छलै गोर-गोर गाल
जेकर सईयाँ बनतै सुनिल  यौ
ओकर होतै ओहे दुरगती यौ
रुकतै नै आब ललित दिवाना
बियर बोतल खोलतै जोर से
घरे रहितै तऽ पुवा-पुरी खैतैई
ओठलाली मे हमरा बोरि के
_________________________________________





Post a Comment

0 Comments