|| मजगूत मनोबल ||

हेज केर हेज
हमर प्रतिदून्दी बैसल अछि
हमर सफलताक बाट पर
रोड़ा,पत्थर, पहाड़ बनि
हमर अस्तित्व गिराब लेल
हमर पहिचान मेटाब लेल

मुदा,
अपन इक्छा सक्ति बले
अपना ऊपर बिसवाश राखि
अपन मार्ग पर चलैत छी
दुनियाक भीड़ में अकेेले
रने बने बौवा रहल हम
अपन अस्तित्व
अपन पहिचान बचाब लेल

दर-दर ठोकर खाति
खसैत छी
फेर उठैत छी
अगाड़ी डेग बढ़बैत
अपन मनोबल मजगूत
अटूट गिठर बाइन्ह कऽ
फेर सँ संकल्प लैत छी
अपन गंतब्य धरि पहुँचबाक अछि
अपन अस्तित्व
अपन पहिचान बचेबाक अछि
____________________________________________

Post a Comment

0 Comments