Lyrics_बिरहक आगि

लड़का :
हमरा लेल बिरहक आगिमें किए जरैत रहब - २
कहिया तक अहाँ एना घुटि-घुटि कऽ मरैत रहब - २

लड़की :
एक दिन हम बनि जाएब आकाशक तारा - २
धरती सँ अहाँ हमरा सदैत देखैत रहब

लड़का :
हमरा लेल बिरहक आगि' में किए जरैत रहब
लड़की :
धरती सँ अहाँ हमरा सदैत देखैत रहब

लड़का :
अप्पन प्रेमक परिभाषा पढ़तै ई सारा जमाना -२
अखन धरि नै जनम लै एहन कोनो दीवाना - २

लड़की : 
हम तऽ ई जनम में भऽ नै सकलौं अहाँक - २
जनम-जनम धरि बाट जोहैत रहब

लड़का :
हमरा लेल बिरहक आगिमें किए जरैत रहब

लड़की :
धरती सँ अहाँ हमरा सदैत देखैत रहब

लड़की :
अप्पन दिलमे कोनो सौतिन के जगह नै देब - २
आकाशक परी बनि हम अहाँ पर तकैत रहब - २

लड़का :
ई मोनक मन्दिर में अहिं छलौं - २
सदैत अहिं रहब

लड़का :
हमरा लेल बिरहक आगिमें किए जरैत रहब

लड़की :
धरती सँ अहाँ हमरा सदैत हे.... हे.... आ हा.... हा....
___________________________________________


__.✍ एस के मैथिल 
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,

Post a Comment

0 Comments