|| आई काईल के बच्चा ||

उमरमें लगैत अछि हमरा सँ छोट ,
मगर घाउ करैत अछि ऊ गंभीर !
 दैत अछि बड़का - बड़का के छुट्टी !!
आई काईल के सब बच्चा ,
नई सम्झि ओकरा के कच्चा !!

जे हमरा अहाँक नई मालूम अछि ,
ऊ क दैत अछि एक झटका में !
बिना देखले बता देत ऊ अहाँ के !!
कि कतेक रुपैया छिपल अछि ,
ऊपर लटकल ओय मटका में !!!

हमरा नई अबैत अछि चलाबे ,
स्काइप, फेसबुक, आ ट्विटर !
जेना कोई बुनैत रहे स्वेटर !!
धड़ा-धड़, धड़ा-धड़ हाथ चलाबे ,
एक सेकण्ड में ऊ मैसेज पठाबे !!!

हम सब खेलैत छलौं राजा रानी ,
और फोटो वाला हीरो हीरोइन के खेल !
ऊ सब खेल खेलैत अछि मोबाइल प !!
बटन वाला मोबाइल के त बातें छोडू ,
सब के हाथमें स्क्रीन टॉच मोबाइल भेल !!!

ऊ नाम के पीछे लगबैत अछि ,
बँकर त कोई टयाप्पे केटो !
अप्पन नाम के पहिचान भुइल गेल !!
आई काईल के सब बच्चा ,
नई सम्झि ओकरा के कच्चा !!