|| हमर मामा ||

चन्दा मामा चन्दा मामा ,
सब सँ बढियाँ हमर मामा !
रंग बिरंगक खिस्सा पिहानी ,
सुनबैत छथि हमर मामा !!

जब अबैत छथि मामा हमरा घरे ,
सब लगैत अछि हमरा सँ डरे !
नई जेबै आई हम स्कूल पढ़े ,
कियाक त एतै मामा हमरा घरे !!

नवी, सावी, विक्कु और चिक्कु ,
खुशी सँ सब आई नचैत अछि !
मामा एतै आई मामा एतै ,
झोला भैर क खिलौना लेतै !!

नवी के लेल लेने एतै Baby Doll ,
और विक्कु खेल्तै Cricket Ball !
सावी के चाही Teddy Beddy ,
और चिक्कु भाई Always Ready !!

चन्दा मामा चन्दा मामा ,
सब सँ बढियाँ हमर मामा !
झोला भैर क खिलौना लेने ,
आएल छथि हमर मामा !!
___________________________________________


__.✍ एस के मैथिल 
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,