|| सुन्दर शान्त नेपाल ||

सब सँ अलग देश छथि नेपाल ,
छोट रहितो जगत में छथि विशाल !
तीन प्रदेश तराई, पहाड और हिमाल ,
झन्डा फड़फड़ायत अछि कर लाल !!

सब किछ सँ छथि भरपूर ,
ककरो सँ कनिको नई कम !
जत छथि कमला कोशी बलाम ,
तीनो लोग में अछि एकर गुनगान !!

बलि देलक वीर योद्धा रोशन कैलक नाम ,
नई होयब देलक कहियो ककरो गुलाम !
सब नेपाली के एकैगो शान ,
हम छि नेपाली हमर देश महान !!

बुद्धा हिनकर बेटा सीता हिनकर बेटी ,
बनलौं बड़का जहिया छल छोटी - मोटी !
सब सँ बड़का छथि ऐत सागरमाथा हिमाल ,
जय जय हे ! सुन्दर शान्त नेपाल !!
____________________________________