|| राखीक' सन्देश ||

आबि गेल अछि राखी दीदी ,
हाथ देखैत छी खाली दीदी !
हम परदेशी छी प्रदेशमें बैसल ,
राखी भेजियौ सनेसमें दीदी !!

आँखिसँ बरैस रहल अछि मोती ,
मिलल नै छुट्टी गाम एबाक लेल दीदी !
अहूँक मोन कुहकल हेत मुदा ,
अहाँक भाई अछि परदेशी दीदी !!

भेज रहल छी राखीक सन्देश अहाँके ,
पढ़िक क लेब अहाँ मुह मीठी दीदी !
करब नै कहियो अप्पन मन छोट अहाँ ,
मनाबि रक्षा बन्धन खुशी-खुशी दीदी !!

महाजन के कर्ज़ भेल मज़बूरी अप्पन ,
नै त जरुरी कहाँ छल रहल प्रदेशमें दीदी !
सधि जेतै कर्ज़ा छोड़ाक लाबि लाल पुर्ज़ा ,
आबि हम हाथमें राखी बान्धवाबे दीदी !!

फेरसँ बनब नै हम परदेशी कहियो ,
नून रोटी खा संगे रहब हँसीखुशी दीदी !
भेज रहल छी राखीक सन्देश अहाँके ,
पढ़िक क लेब अहाँ मुह मीठी दीदी !! 
_________________________________________