|| माई के नेह ||

माई अहाँक नेह अनमोल ,
जेकर नै रहल कोनो मोल !
सौसे दुनिया हम घुमि एलौं ,
मिलल नै कतौ एहन स्नेह !!

मिठगर बोली रातिक लोरी ,
आरे निन्दिया चोरी - चोरी !
माई सुनाबे बेटाके सूतावे ,
नेहकऽ सागर माई लुटावे !!

बितल लरकईया भेली सियान ,
सबकियो कहैय भऽ गेलौं जवान !
लौटाबि सकैत छी तऽ लौटाबि दी भगवान ,
माईके आँचर के फेरसँ उ साल !!

दुःख दर्द सब छल बेपत्ता ,
माइके गोदमें सुख अतेक !
तैं तऽ तरैस गेल असमानकऽ देवता ,
उतरल धरती पर बनिके बेटा !!

कोई नै मारू माइके ईटा ,
नै तऽ परत अपने के छिटा !
करब जँ नितदिन माइके सेवा ,
जितब दुनिया आ पाइब मेवा !!
_________________________________________