|| घाट पर अौता अाई सुरूज भगवान ||

पूजाकऽ थाली रसोई में पकवान ,
दौरा में लऽकऽ चलू छठिकऽ समान !
हाथ में फुलझरी ललू अाई चमकतै जहान ,
घाट पर अौता अाई सुरूज भगवान !! [ १ ]

सफलता कदम चुमैत रहत ,
खुशी अगल बगल घुमैत रहत !
चलू छठि घाट छोडिकऽ सब काम,
घाट पर अौता अाई सुरूज भगवान !! [ २ ]

कैह रहलय अहिके राजदेव ,
नै करू कोनो अापने आप में भेद !
हम छि मैथिल हमर मिथिला महान ,
घाट पर अौता अाई सुरुज भगवान !! [ ३ ]
______________________________________