|| जंग के ऐलान करैत छी ||

अपनाकऽ वीर गोर्खाली कहैत छी ,
बन्दूक लऽ खाली वार करैत छी !
दम हबे तऽ आउ खाली हाथ ,
हम मधेशी जंग के ऐलान करैत छी !!

नै तिर चलत नै चलत तलवार ,
आ नै होइत कतौ गोलिकऽ बौछार !
के अछि वीर, किनकामें अछि दम ,
ई देखत पूरा दुनिया सन्सार !!

अटल मधेशी छैक खाली हाथ ,
चलऽल छै युद्धमें छाती अपन तानि !
सिर उच्च रहल छै अखनो देशमें ,
एहन वीर जन्मैत छैक मात्र मधेशमें !!

दोसरके टुकड़ा पर पलेवाला अहाँ ,
फेकल हड्डी चाटेवाला अहाँ !
शान देखबैत छी अप्पन विरता के ,
निहत्था उपर वार करि कहैत गोर्खाली !!

हुकुमत के बनल सरकार चोर ,
मधेशी दैतछौ ललकार जोर !
छौ हिममत तऽ आ खाली हाथ ,
पता चलि जेतौ तोरा की के छै शेर !!

जुल्मके अन्त करेबाक लेल ,
मधेशी वीर छै तैयार छी !
दम हबे तऽ आउ खाली हाथ ,
हम मधेशी जंग के ऐलान करैत छी !!