गज़ल ~ हाल जिनगीके कि हम बताऊ राधा

हाल जिनगीके कि हम बताऊ राधा ,
मोन होइय जिवते मरि जाऊ राधा॥

लागैय चहुँओर गुजगुज अन्हरिया ,
नेहकऽ दिप लेसने अहाँ आऊ राधा॥

पागल सन अनेरे तकैत छी सगरो ,
बड्ड भेल जुनि आब नुकाऊ राधा॥

सिसैक सिसैक छी हम जीव रहल ,
जीवनकऽ व्यथा कोना सुनाऊ राधा॥

नोर बहाबैत बाट जोहैय विद्यानन्द ,
आबि अपन हिया सँ लगाऊ राधा॥
_________________________________________