|| जय जय जय मिथिला ||

जगैत मिथिला, सुतैत मिथिला
उठैत मिथिला, बैठैत मिथिला
साँझकऽ मिथिला, रातिकऽ मिथिला !
जखने तखने एहिना सजल रहे
हम मैथिलके ठोरह पर मिथिला !!

जान मिथिला, प्राण मिथिला
स्वाभिमान मिथिला, अभीमान मिथिला
मान मिथिला, सम्मान मिथिला !
सदिखन एहिना रटैत रहब
हम मैथिल सब नाम मिथिला !!

करुणाके सागर, कर्मकें धार मिथिला
जन्मभुमी वैदेहीकऽ, जनकजीके गाम मिथिला
हमर मिथिला, अहाँक मिथिला !
सबकियो मिलके कहब
जय जय जय मिथिला !!

_________________________________________