गज़ल ~ माई सँ ई दुनियाँ जहान थिक


माई सँ ई दुनियाँ जहान थिक ,
माई बिनु ई जिनगी हैरान थिक !!

घुमि आउ अहाँ सारा दुनिया ,
माई के चरणमें बसल भगवान थिक !!

अपने भुखले सुति अहाँक खुवैलखिन ,
अहाँक दर्द पर माई परेसान थिक !!

माई के ममताकऽ मोल चुकाबि कोना ?
जे ई दुनियाँ सँ करौलखिन पहिचान थिक !!

माई मन्दिर, माई पूजा, माई स्वेम् भगवान थिक ,
माई के ममताकऽ दुनियाँ गबैत गुणगान थिक !!

लेखक : एस के मैथिल
जनकपुर धाम ~ १, धनुषा (नेपाल)
हाल : मुम्बई