|| शिव के जाप हमरा करऽ दिय ||

भोला बाबा कऽ शरण मे जाए दिय 
हूनकर पूजा आजू हमरा करऽ दिय 
आजू छैक शिवरात्रि' बाबा कऽ दिन 
शिव के जाप हमरा करऽ दिय

शिव के भक्ति मे डुबि' जाए दिय 
आजू आशिर्वाद हमरा लेबऽ दिय 
दानी आजू हमरो पऽ तकता जरूर 
शिव के जाप हमरा करऽ दिय

भोलेनाथ के कृपा बनल रहैत छैक  
शिव कऽ माला जाप करऽ दिय 
लऽकऽ नाम शिव भोले दानी के 
शिव के जाप हमरा करऽ दिय

एक धतूरा आओर बेलपत्री 
हमरा कनिक लाबि' दिय 
जल चढ़ाबि' कऽ पूजा करव 
शिव के जाप हमरा करऽ दिय

Post a Comment

0 Comments