|| खबरदारी जुलुस ||

ई देश छै हमर 
रहबे करतै
मिथिलाके झण्डा
फहरैबे करतै
यदि सकैछी तऽ भोकि दिअ
छातिमे भाला
जँ दम अछि तऽ छीन लिअ
दू कौर निबाला
नै तऽ अही बेर सबटा बदला चुका' लेब
मारि पैनासँ छट्ठी रातिके
दूध बोकरा' देब

बड खेललौ हमरा खुनसँ
भरि साल होली
कखनो बन्दुक भिडा' केलौ
बन्द हमर बोली
कोना केलियै बल्तकार हमरा
माए-बहिनके ?
कोना छेदल छतिमे गोली
मधेशी चिन्ह/चिन्हके ?
भलादमीके काज अछि तऽ सबटा हिसाब दिअ
नै तऽ मारिते-मारिते
ढौह फुला' देब
मारि पैनासँ ....

खबरदार ओ शोषक आ
मधेशकऽ ठिक्केदारसब
आब जागल छी सब दिन जागले रहब
प्राण ठठरीमे रहएधरि
लागले रहब
हमर हक़, हमर मांग
चुपचाप द' दिअ
नै तऽ छनमे नानी गाम
याद करा' देब
मारि पैनासँ ....