गज़ल ~ टुटलै जे सपना

टुटलै जे सपना ओ सपना सजाब तऽ दिय,
हमरा अपन नैनसँ नोर बहाब तऽ दिय !!

किया हम ओ निर्मोहिसँ हिया लगेलौं,
ओ निर्मोहिक नाम हियासँ मिटाब तऽ दिय !!

बहुतेक तड़पलौं ओ निर्मोहिकऽ याद में,
ओ निर्मोहीक याद हियासँ हटाब तऽ दिय !!

बिसैर नै सकलौं हम अहाँ के मुदा,
अहाँ देलौं दर्द ओ दर्दके भुलाब तऽ दिय !!

टुटलै जे सपना ओ सपना सजाबत दिय
हमरा अपन नैनसँ नोर बहाब तऽ दिय !!
____________________________________________