कोइ रौदे - रौद सँ जरै छैक,
कोइ ठंडे - ठंड मे मरै छैक !!
कोइ खाति' - खाति' परेशान एत,
केकरो रोटियो पर नै नुन पडै छैक !!
केकरो काम नै कतौ भेटै छैक,
कोइ बैठलेमे ढौवा छपै छैक !!
कोइ बोर्डिङ मे पढिक' पास भेलै,
कोइ गरीबी के कारण स्कूलो नै देखै छैक !!
ककरो सुखलो रोटी पर आफत एत,
किओ बर्थडे मे लाख उडबै छैक !!
किओ अपना बच्चाके फाइव
स्टारमे खियाबै,
किओ गरीबीमे एगो चकलेटो नै देखबै छैक !!
________________________________________