|| करेज चिर कऽ देख लिए ||

जानो सँ ज्यादा अहाँ पऽ
करैत छी सजनी भरोसा !
देब नई सजनी कहियो
हमरा के धोखा !!

घर द्वार छोडि देलौ
अहाँक लेल
समाज सँ लडि गेलौं !
छोड़ब नई कखनो
जिनगीक डगर में
पाबिक मौका !!

जान प्राण आ मान अहाँक
मानिगेलौं हम अप्पन !
भूलियो के भूलि नई जाएब
दिलमें दऽकऽ टिसक झोका !!

करेज चिरक देख लिए
लिखल अहाँक नाम मिलत !
मुह मोडि नई लेब देखिक
दोसरक खुशीक झरोखा !!

जिनगीमे अहाँक अएलासँ
जिनगी, जिनगी बनल हमर !
जिनगीके बिरान नई करि देब
अहाँ दऽकऽ दु:खक तोफा !!

भगवानसँ बढिक छि अहाँ
हमरा लेल हमर जिनगीमे !
रुसि नई जाईब अहाँ हमरासँ
दऽकऽ नयनमे नोरक बर्षा !!

जानो सँ ज्यादा अहाँ पऽ
करैत छी सजनी भरोसा !
देब नई सजनी कहियो
हमरा के धोखा !!
______________________________________________