|| अहाँक साथ चाही ||

छवि : मैथिली कलाकार सरिता साह
अहाँ प्रेमक एहसाश चाही,
ई दिल के सुनेवाला आवाज़ चाही !
हमरा आओर किछ नै चाही,
अहाँक साथ चाही !!

अहाँक एक नज़र देखिक,
दिलक अरमान भऽ जाएत छैक पूरा !
बिना अहाँक मुस्कान के छैक,
ई जिनगी हमर अधूरा !!

ई दिलक धड़कन के धड़केवाला,
अहाँक एक झलक चाही !
ई प्रेमक बंधन अटूट रहेवाला,
अहाँक एक पलक चाही !!

प्रेमक किरिया खईने छली जहाँ,
कईने छली प्रेमक वादा अहाँ !
जिनगीमें कखनो नै रहु उदास अहाँ,
किएक तऽ हम छी अहाँक संग जहाँ !!

हमर जिनगीक हरेक दुःख मिटाबेवाला,
अहाँक संग बितल उ याद चाही !!
हमर जिनगीक प्रत्येक सफर, बाट पऽ
अहाँक साथ चाही !
___________________________________________

__.✍ एस के मैथिल 
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,

Post a Comment

0 Comments