Lyrics_मिता यौ हमरा प्यार भऽ गेलै

दिलमें बसल छलै ओ
आई दीदार भऽ गेलै - २
की कहु हम मिता यौ
हमरा ओकरे सँ प्यार भऽ गेलै - २

दिलमें बसल छलै ओ
आई दीदार भऽ गेलै
की कहु हम मिता यौ
हमरा ओकरे सँ...प्यार भऽ गेलै

चालिु ओकर मतवाली जका - ३
तिरछी नयन कटार जका
जादू उ कोन चला कऽ गेलै,
दीवाना हमरा उ बना कऽ गेलै - २

जे रातिु में आबिुकऽ सब दिन,
आई हरान कऽ गेलै - २
की कहु हम मिता यौ
हमरा ओकरे सँ...प्यार भऽ गेलै - २

ओकर अदा के कायल भेलौं - ३
पैरक जेना हम पायल भेलौं
जादू ई कोन चला कऽ गेलै,
बिजुरी ई दिल पऽ खसा कऽ गेलै - २

संगमे छलै एक्के टा दिल
अप्पन नाम कऽ गेलै - २
की कहु हम मिता यौ
हमरा ओकरे सँ...प्यार भऽ गेलै - २
______________________________________________

__.✍ एस के मैथिल 
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,




Post a Comment

1 Comments