|| अशान्त नेपाल ||

देश में बैढ़ गेल अछि अपहरण हत्या ,
करैत अछि अपहरण दिने देखार !
और मागैत अछि अभिभावक सँ ,
रुपैया          लाख         हजार !!

बैन गेल अछि मनुष खासी, पाठी
 दैत अछि हत्या दिने देखार !
मारैत कालमें हातो नई सिहरैत अछि ,
जेना किनको प्राण मुफ्त में आयल होइ !!

नई पकड़ैत अछि हत्याराके पुलिस प्रशासन ,
जेना   कानमें   रुई    रैख   लेने   होइ !
जेहने    छलैथ    शान्त     नेपाल ,
ओहिक बिपरीत भ गेल अछि अशान्त नेपाल !!

कहिया तक हेतै एक मासुमक ,
अपहरण,       हत्या !
जल्दी सँ रोकु जानकी माता ,
जल्दी सँ रोकु जानकी माता !! 
___________________________________________


__.✍ एस के मैथिल 
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,