|| अहाँ बिनाक' जिनगी ||

किए हमरा अहाँ एतेक तड़पबैत छी ,
ई तड़प आब हमरा सहल नई जाइय !
ई जिनगी दू दिनके अछि , बस 
अहाँ बेगर हमरा जियल नई जाइय !!

अहाँ किए हमर दिल सँ दूर भगैत छी ,
दूर जाक हमर दिल दुःखा रहल छी !
प्रेमक वादा भुइल रहल छी ,
बिच बाट प किया साथ छोइड़ रहल छी !!

केने छलौं वादा अहाँ वादा सात जनमके,
जीवनसाथी बनब हम जनम - जनमके !
किए वचन तोइड रहल छी ,
हमरा छोइडक अहाँ कत जारहल छी !!

हमरा सँ की भेल एहन गल्ति जँ ,
अहाँ गेलौं हमर दिल तोइडक !
हम जिय नई सकब अहाँ बिन रहिक ,
किए गेलौं अहाँ हमरा अकेला छोइडक !!  

किए हमरा अहाँ एतेक तड़पबैत छी ,
ई तड़प आब हमरा सहल नई जाइय !
हम अही प आश लगौने छी , बस 
अहाँ बेगर हमरा जियल नई जाइय !!
___________________________________________


__.✍ एस के मैथिल 
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,