Maithili Chutkula - छिमेकी केकरा कहैत अछि ...

एक गाउँमें प्रौढ़ कक्षा के पढ़ाई चैल रहल छल। ऊ कक्षामें गाउँ के महिला सब पैढ़ रहल छल। सब महिला घोघ तानिक आबैत छल। एक दिन सर " छिमेकी " पाठ पढ़ैलक , दोसर दिन सब सँ पुछैत अछि। 
सर : छिमेकी केकरा कहैत अछि ?
(कोनो महिला जवाब नई देलक , तभी एक महिला घोघ में सँ कहैत अछि।)
महिला : हम जनैत छी , सर ! 
सर : अच्छा , कहु त छिमेकी केकरा कहैत अछि ?
महिला : सर ! छिमेकी दू छिमी केरा के कहैत अछि।