गज़ल ~ पानसन पातर ई ठोर अहाँके

पानसन पातर ई ठोर अहाँके !
अहाँ छी चान हम चकोर अहाँके !!

जुनि घबराउ सब नीक भऽ जेतै !
अहाँ छी राइत हम भोर अहाँके !!

संसारकऽ गति बदलि जाए मुद्दा !
अमर रहै प्रेमकऽ डोर अहाँके !!

समय पैघ बलवान छै अपने !
नै चालत ओइ आगु जोर अहाँके !!

नै बहाउ नयन सँ नोर कहियों !
मोतीसन मोल अछि नोर अहाँके !!
सरल बार्णिक