|| अहाँक एक मुस्कान चाही ||

अहाँ प्रेमक एक एहसास चाही ,
ई दिलके सुनेवाला एक आवाज़ चाही !
हमरा आउर किछ नै चाही, बस 
अहाँक एक मुस्कान चाही !!

अहाँक एक नज़र देखिक ,
दिलक अरमान भ जाइत छथि सब पुरा !
बिना अहाँक मुस्कान के छथि ,
ई जिनगी हमर अधूरा !!

ई दिलक धड़कनके धड़काबेवाला ,
अहाँक एक झलक चाही !
ई प्रेमक वादा अटूट रहेवाला, बस 
अहाँक एक पलक चाही !!

ई प्रेमक किरिया खइने छली जहाँ ,
कइने छली प्रेमक वादा अहाँ !
ई जिनगीमें नै रहु उदास अहाँ ,
कियाक त हम छी अहाँक साथ जहाँ !!

हमर जिनगीक प्रत्येक सफर ,
हर बाट प अहाँक साथ चाही !
हमर जिनगीक हरेक दुःख मिटवेवाला, बस 
अहाँक एक मुस्कान चाही !!