टटका मनोरञ्जनात्मक गीत

लगाकऽ गर्दनमें जोरी 
मरतै कते हे गे गोरी ।।
बात कि तोहार ( अंदर छौ ) - २ 
हे हे… डिजाइन बड़ डेंजर छौ !

देखकऽ मदमस्त यौवन 
फिसलौ सभकऽ तनमन 
गोर - गोर गुलाबी गाल ,
कसगर - कसगर बदन ।।
ठोर जिलेबी सन ( रसगर छौ ) - २ 
हे हे… डिजाइन बड़ डेंजर छौ !!

वाह कि तोहर छौ स्टाइल ?
गज़बके चौवनिया स्माइल  
एक तऽ अदा जानमारा ,
तै पर सँ मस्तानी चाईल ।।
आँखि कि तोहर ( धरगर छौ ) - २ 
हे हे… डिजाइन बड़ डेंजर छौ !!

धियान नै कखनो बुकमें 
निकलैत छी सतरंगी लुकमें 
राति - दिन छौरा सब संगे ,
करैत छी च्याटिंग फेसबुकमें ।।
लागल लभकऽ ( क्यान्सर छौ ) - २ 
हे हे… डिजाइन बड़ डेंजर छौ !!
_________________________________________