|| पढ़ु लिखू ||

करिया कौवा उजरा कौवा ,
स्कुल पढ़े जाउ यौ बौवा !
पढ़ि लिखक बनु बुद्धियार ,
साँझके किनदेब चकलेट चार !!

सिलेट लऽ लिय पिनसुल लऽ लिय  ,
हाथमें लऽ लिय खाएलेल टिफिन !
रोशना जाएछै अंकित जाएछै ,
अहुँ जैयौ संग - संग स्कुल !!

खेलबो करू, कुदबो करू ,
समयसँ सब किछ सिखबो करु !
भोरक टीसन साँझकऽ टीसन ,
स्कुलके समय स्कूलमें पुगू !!

गुरुजी पढ़ाक छूटी देता ,
हम खुएब इमली मिठा !
जाएब बजार लाएब माछ ,
खाएब भरि पेट साथ - साथ !!

घर पछाडी बजैय नरहिया ,
नै पढ़ब तऽ काटिलेत हकुवा !
भाग - भाग भागरे हकुवा ,
बौवा हमर छै बड़ दुलरुवा !!
_________________________________________