|| चिन्ता कि के अछि ? ||

स्कूल, कलेज बन्द रहल अछि
पार्टी कार्यकता बढिए रहल अछि
आन्दोलन देशमे चलिए रहल अछि
बेरोजगार के धन्धा भेटिए रहल अछि
छत पर जनता चढिए रलह अछि
हेलीकप्टर पर नेता घुमिए रहल अछि
इन्धन केँ अभाव भेलो उपर
चिन्ता कि के अछि ?

संसदमे घमर्थन चलिए रहल अछि
दारु–माछकऽ निसा उतरिए रहल छी
देशकऽ संविधान संसोधन भैए रहल अछि
जनता मितव्ययिता सिखिए रहल अछि
जारनि पर भोजन बनिए रहल अछि
नयाँ नेपाल बनला उपर
चिन्ता कि के अछि ?
                  __.✍ गंगेश गुंजन 
                            राजविराज ( नेपाल )