भगवती गीत

आँजुरकऽ कटोरा सँग ढार
छि आयल अहाँ के द्वार
हे मइया सुनियौ अहाँ पुकार
अहि भिखारी के करू उद्धार

अहिंक रचल अछि संसार
सगरो पसरल छै अत्याचार
हे मइया सहल ने जाय दुत्कार
अहि भिखारी के करियौ उद्धार

मानबता छै भऽ रहल शर्मसार
छै रावण के सगरो भरमार
हे मइया दुषित भेलइ ब्याबहार
अहि भिखारी के करियौ उद्धार

छिनायल अछि सब अधिकार
भटैक रहल छि बैन कऽ लाचार
हे मइया लिय अहाँ फेर अवतार
अहि भिखारी के करियौ उद्धार
__________________________________________


__.✍ बिजय कुमार झा
देवडीहा, नगराइन धनुषा (नेपाल)