गज़ल ~ कहिँ हमरो जौ बहिन रहैतियै


कहिँ हमरो जौ बहिन रहैतियै
आइ एहेन नञि दिन रहैतियै॥

बन्हाबितौ रक्षाक' बन्हन हमहुँ,
खाली हाथ ई रङ्गीन रहैतियै॥

उतारितै नजैर-गुजैर लगा टिका,
जीवनपथ नञि कठिन रहैतियै॥

सदिखन लक्ष्मी समान पूजितौ,
भगवानो सँ बेस पसिन रहैतियै॥

पाबि नेह जिनगीमे विद्यानन्दके,
अमन- चयन आ निन रहैतियै॥
____________________________________________


__.✍ विद्यानन्द वेदर्दी 
राजबिराज, सिरहा (नेपाल)