|| दिदी के दुलार ||


ओ दिदी के दुलार छै एखनो !
ओ बहिनक' प्यार छै एखनो !!

अलग भेल छी बियाहक' बाद सँ
मुदा तैयो बन्धन बान्हल अछि
राखीक' त्योहार सँ एखनो !!

सदिखन लडैत रहैत छलौ !
छोट - छोट बात पर,
ओहे बातक' तकरार छै एखनो !!

दिदी तऽ चलि गेलीह घर सँ ससुराल !
मुदा बहिनक' यादक' संसार छै एखनो !!

ओ दिदी के दुलार छै एखनो !
ओ बहिनक' प्यार छै एखनो !!
____________________________________________