Maithili Jogira - होलीमे भेलै मुदा नर्से संग खेल

सा रा रा रा,सा रा रा रा, सा रा रा रा
जोगिरा सा रा रा रा

होरीमे बुढीयाके चढलै उमंग
वाह रे वाह वाह रे वाह
होरीमे बुढीयाके चढलै उमंग
घसि देलकै बुढबाके मोछेमे रंग
जोगिरा सा रा रा रा ........

कलेजके मास्टर छै बड हुरदंग
वाह रे वाह वाह रे वाह
कलेजके मास्टर छै बड हुरदंग
पाछुए सँ घसि देलकै मिसके रंग
जोगिरा सा रा रा रा ..........

डाक्टर - डाक्टरनीके गजबे छै मेल
वाह रे वाह वाह रे वाह
डाक्टर - डाक्टरनीके गजबे छै मेल
होलीमे भेलै मुदा नर्से संग खेल
जोगिरा सा रा रा रा ..........

Post a Comment

0 Comments