Maithili Chutkula ~ बुधना के बियाह


बुधना के बियाह में बर आफत । आईयो माला पहिरि कऽ काजर केने खाट पर बैसल अछि । कन्हा बियाह में बीस गो आफत बाली बात । लड़की पक्ष बाला किछ सवाल जवाब केलकै ।

                       आहू सब सुनै जाऊ.....

बरतोहारि' : पहुना गंजी कै नंबर के पहिरै छियै ?
बुधना : बॉऊ जै नंबर के पहिरै है, किएक तऽ बेसि' काल बदला, बदली भऽ जाय है, कुटुमारे जाय काल तऽ गंजी पहिरै लै मारामारी भऽ जाय है ।"
बरतोहारि' : बीड़ि हुक्का तऽ नै पिबै छि ने ?
बुधना : बाऊ पियै हय, बूढ़बा बर चलाक है, मुठ्ठा के बीड़ि गैन कऽ राखै है, बुढिआ चोरा कऽ पी लै है ! बात हमरा सुने परै है ।"
बरतोहारि' : ई तऽ पहिल बियाह है ने ?
बुधना : पहिले बाली तऽ हमरा जरे एबे नई केल्कै, कहल्कै ई....हय, हम आ बाराती जान बचा कऽ भगली ।"

बेचारा कन्यागत माथा हाथ धेने बैसल अछि बुधना दलान पर......!!
__________________________________________


__.✍ हरेकृष्णा ठाकुर 
मधुबनी, बिहार
हाल : गौहाटी