|| प्रेम सफल नई होएत अछि ||

रे मिता !
प्रेममें डूबिओक'
पार नई होएबे
यदि पार भऽ गेले तऽ
ई दुष्ट संसार
तोरा पार करऽ
देतै कहाँ !
प्रेम पऽ प्रतिबन्ध
लगबैत आएल छै
एत: सदियों सँ
पार नई पौलकै
लैला-मजनू
देख ले तू
इतिहास प्लैट क
हरेक रंगक
इन्सान छै एत:
मिता !
प्रेम सफल यदि भेल
अहाँक तऽ प्रेम में
खंज़र चलबैत अछि
उहे तऽ !!
___________________________________________


__✍ एस के मैथिल 
स्थान : जनकपुरधाम-१ सिता चौक,
शिवपथ रोड, धनुषा (नेपाल)