|| जिन्दे जरा दियौ ||

घटीत घटना सँ आँखि लाल भऽ गेल
जाइनो बुझि कऽ चुप रहै छि तैं काल भऽ गेल
जे एहन घटना घटबै छै..तकरा बाप सँ भेट करा दियौ
बलत्कारी जखन पकडा जाइए तऽ जिन्दे जरा दियौ ।

कतौ कोनो समस्या छै तऽ नई सोंचू जे झाँप परत
झापी यदि देलयै तऽ अहिना डरा डरा कऽ काँप परत
बिन्ती अछि सब सँ मानवरुपी दानव के हिम्मत नई बढा दियौ
बलत्कारी जखन पकडा जाइए तऽ जिन्दे जरा दियौ ।।

बेटा बेटी मे भेदभाव  बेटी के दुत्कारल जाइ छै
तैं आनो के नजर मे चढि जाइछै इज्जत उघारल जाइ छै
नष्ट करु इ संकोचित सोच अहाँ धपाएल नजरि के भितरे मे गरा दियौ
बलत्कारी जखन पकडा जाइए तऽ जिन्दे जरा दियौ ।।।                                     
________________________________________________

Post a Comment

0 Comments